वैशाली के डाकघर सं साढ़े पांच लाख रुपैया लुटलक बदमाश

    0
    210

    वैशाली, मिथिला मिरर: बिहारक वैशाली जिला के इन्डस्ट्रीयल थाना अंतर्गत औद्योगिक क्षेत्र मे अवस्थित एकटा डाकघर परिसर सं चारि सशस्त्र लुटेरा सोमदिन साँझ मे हथियारक बल पर साढे पांच लाख रुपैया लूटि कय फरार भय गेल।

    पुलिस अधीक्षक राकेश कुमार अहि घटनाक पुष्टि करैत कहलनि जे, पुलिस मामलाक छानबीन शुरु कय देलक अछि। वैशाली के डाक अधीक्षक यू सी प्रसाद कहलनि जे, सोमदिन साँझ मे साढे पांच बजे ई घटना तहन घटल जहन कार्यालय परिसर मे स्थित एकटा डाकघर सं 5.5 लाख रुपैया एकटा गाडी मे राखि कय जिला मुख्यालय हाजीपुर के मुख्य डाकघर पठेबाक तैयारी कायल जा रहल छल। अहि बीच ओतय पहुंचल चारि टा सशस्त्र लुटेरा हथियारक भय देखा राशि लुटि कय फरार भय गेल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here