एक बैग पिस्टलक संग स्टेशन पर पकड़ाओल अपराधी

    0
    206

    भागलपुर, मिथिला मिरर: बिहारक भागलपुर जिला सं रेल पुलिस एकटा हथियार तस्कर के गिराफ्तार केलक अछि। तस्कर के रेल पुलिस हथियारक डिलीवर करबा सं पहिनहि गिरफ्तार कय लेलक अछि। मोहम्मद सज्जाद नामक अहि युवक के सुल्तानगंज रेलवे स्टेशन के टिकट काउंटर के समीप सं जीआरपी पुलिस गिरफ्तार केलक अछि। अपराधी लग सं 10 टा पिस्टल आ 20 टा खाली मैगजीन बरामद कायल गेल अछि। अपराधी पूछताछ मे कहलक अछि जे, ओ मुंगेर स पिस्टल लय मुजफ्फरपुर जा रहल छल, जतय एकटा व्यक्ति के डिलेवरी देबाक छल।

    पुलिस अपराधी के संग सं एक हजार रुपैया नगद तथा एकटा मोबाइल फोन सेहो बरामद केलक अछि। जीआरपी थानाध्यक्ष सुधीर कुमार के अनुसार तस्कर स पूछताछ कायल जा रहल अछि। अपराधी मुजफ्फरपुर इंटरसिटी एक्सप्रेस के समय टिकट काउंटर पर लाइन मे टिकट लेबाक लेल ठाढ़ छल, ताहि दौरार शक के आधार पर जीआरपी गिरफ्तार केलक अछि। सज्जाद नामक ई अपराधी लैपटॉप बैग मे पिस्टल के रखने छल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here