डिग्री पार्ट वन के परीक्षा आब 30 नवम्बर सं

    0
    225

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: ललित नारायण मिथिला विश्विद्यालय द्वारा डिग्री पार्ट वनक परीक्षा आब 30 नवंबर सं होयत। शनिदिन साँझ मे लनामिवि परीक्षा विभाग कुलपति के आदेश के बाद 21 सं प्रारंभ होबय वला परीक्षा के स्थगित कय देलक अछि।

    सूत्रक अनुसार किछु कॉलेज मे डिग्री पार्ट वनक परीक्षा प्रपत्र एखन धरि नहि भरल गेल अछि। संगहि विश्विद्यालय द्वारा जारी प्रवेश पात्र मे सेहो बहुत रास कमी बताओल जा रहल अछि। अहि तरह आब 30 नवंबर सं परीक्षा प्रारंभ होयत। अहि बातक पुष्टि जेएमडीपीएल महिला कालेज के बर्सर डा. मिथिलेश कुमार झा आ परीक्षा नियंत्रक डा. आदित्य कुमार लाल दास केलनि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here