बेनीपुर विधायक के अर्थी जुलुस निकालबाक निर्णय

    0
    228

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगा के बेनीपुर प्रखंडक नवादा पंचवटी चौक पर हरिश्चन्द्र झा पुस्तकालय मे शनिदिन जीप सदस्य रामकुमार झा बबलू’क अध्यक्षता मे पंचायत प्रतिनिधि एवं आम जनक एकटा बैसार कायल गेल। बैसार मे स्थानीय विधायक सुनिल चौधरी द्वारा क्षेत्रक जनताक कायल जा रहल उपेक्षा सहित बहुतो आरोप लगा कय निंदा प्रस्ताव पारित करैत आगामी 7 दिसम्बर क विधायक’क अर्थी जूलूस निकालबाक निर्णय लेल गेल।

    अहि दौरान बबलू कहलनि जे, पूर्व विधायक गोपालजी ठाकुर द्वारा कायल गेल सड़कक शिलान्यास कय तथा हुनके द्वारा स्वीकृत कराओल गेल एएनएम प्रशिक्षण संस्थान एव आईटीआई के अपना उपलब्धि बता कय सस्ता लोकप्रियता हासिल केनाय निंदनिय अछि।

    बैसक मे बेनीपुर के जिला बनेबाक मांग के लय आगामी 25 नम्बर क बेनीपुर बंद करबाक आवाह्न कायल गेल। उक्त जानकारी जिला निर्माण संघर्ष समिति के अध्यक्ष हेमंत कुमार राय देलनि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here