समस्तीपुर मे भूमि विवाद’क लेल महिला के गोली मारि कय हत्या

    0
    222

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: समस्तीपुर के बिथान थाना क्षेत्र मे भूमि विवाद के लय शनिदिन भोर मे एकटा महिला के गोली मारि कय हत्या कय देल गेल। बताओल जा रहल अछि जे, पुसहो गाम निवासी विभिषण यादव आ संतोष यादवक बीच पूर्व सं भूमि के लेल विवाद चलि रहल छल।

    अहि विवाद के लय शनिदिन भोरे संतोष आ संतोषक समर्थक विभिषण के घर मे घूसि कय विभीषण के पत्नी अंजू देवी (35) के गोली मारि कय हत्या कय देलक। सूत्रक अनुसार घटना के बाद सूचना प्राप्त भेला पर पुलिस कार्यवाही कय रहल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here