स्वंसेवक शिक्षाकर्मी’क बैसक मे शिक्षाक स्तर सुधारबाक लेल गेल निर्णय

    0
    216

    मधेपुरा, मिथिला मिरर: मधेपुरा के चैसा प्रखंडक सभागार मे साक्षर भारत एवं दलित महादलित अल्पसंख्यक आ अतिपिछड़ा वर्ग अक्षर आँचल योजना के अन्तर्गत सब साक्षर कर्मी प्रेरक टोला सेवक एवं शिक्षा स्वं सेवकक बैसक भेल। उन्मुखी करण के आरपी प्रवीन कुमार प्रसुन सब टोला सेवक, शिक्षा स्वं सेवक के निर्देश दैत कहलनि जे, विद्यालय के तीन स पाँच वर्गक कमजोर छात्रक पढ़ाई के लेल विशेष क्लास साढे़ छः बजे स साढ़े आठ बजे तक चलाओल जाए। संगहि प्रवीन कुमार प्रसुन कहलनि जे, प्रखंड मे कोचिंग सेन्टरक स्थिति बहुत नीक नहि अछि, जहन कि साक्षर केन्द्र संतोषप्रद अछि।

    प्रखंड कार्यक्रम समन्यवक परमानन्द मंडल के अध्यक्षता मे बैसक भेल। जाहि मे उपस्थित सब गोटे के दिशा निर्देश देल गेल। अहि मौक़ा पर उपस्थित प्रेरक प्रमोद प्रसाद यादव, अनंत कुमार, बालकृष्ण शर्मा, नूतन कुमारी, टोला सेवक अनिल कुमार रजक, अंकज कुमार रजक, धन्नो ऋषिदेव, ध्रुव रजक, शिक्षा स्वयं सेवक अनवर अकवर, ममलू अंसारी, सुधा खातुन सहित सैकड़ो लोक उपस्थित छलाह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here