पोखराम गामक मांग के भेटल स्वीकृति, चारि दिन सं चलि रहल अनशन समाप्त

    0
    275

    दरभंगा, मिथिला मिरर: बिरौल अनुमंडल मुख्यालय पर नव भारत युवा सामाजिक सेवा संगठन के बैनर तर विभिन्न समस्याक निवारण लेल संगठन के अध्यक्ष कमलेश राय’क नेतृत्व मे लगातार चारि दिन सं चलि रहल अनशन आय समाप्त भय गेल। सूत्रक अनुसार संगठनक विभिन्न मांग मे सं मुख्य तीन टा मांग के मानि लेल गेल। जाहि मे अस्पताल मे इलेक्ट्रिसिटी आ 24 घंटा डॉक्टरक मांग के अधिकारी द्वारा स्वीकृति देल गेल।

    ज्ञात हो कि पोखराम गामक विभिन्न समस्याक निवारण लेल संगठन के कार्यकर्ता लगातार चारि दिन सं अनशन पर टिकल छलाह। संगठन के मांग छल जे, पोखराम प्राथमिक उपचार केंद्र मे 24 घंटा डॉक्टर हो, सरकक निर्माण हो, कोणी घाट मे पुलक नवीनीकरण हो। आय दुपहर बाद अधिकारी अनशन स्थल पर पहुँच कय मुख्य तीन टा मांग के स्वीकृति देय कमलेश राय संग संगठन के कार्यकर्ता सं अनशन समाप्त करबाक आग्रह केलनि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here