टेम्पू आ मोटरसाइकिल के टक्कर मे दू गोटेक मौत

    0
    300

    भागलपुर, मिथिला मिरर: बिहार मे भागलपुर जिला के कजरैली थाना क्षेत्र मे बुधदिन टेम्पू आ मोटरसाइकिल के टक्कर सं भेल दुर्घटना मे दू गोटेक मौत भय गेल। पुलिस सूत्रक अनुसार हबीबपुर स यात्री लय क अमरपुर जा रहल एकटा टेम्पू आ विपरीत दिशा सं आबि रहल एकटा मोटरसाइकिल के बीच कजरैली बाजार के निकट टक्कर हेबा सं दुर्घटना भय गेल। दुर्घटना मे दू गोटेक मौत भय गेल। मृतकक पहचान टेम्पू मे सवार गणेश झा (58) आ मोटरसाइकिल सवार करण उर्फ कारु यादव (27) के रुप मे कायल गेल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here