10 गोट मरीजक मौत के बाद टूटल हड़ताल, काज पर वापस एलाह जूनियर डॉक्टर

    0
    196

    पटना, मिथिला मिरर: पटना के पीएमसीएच अस्पताल मे जूनियर डॉक्टर आ प्राचार्य के बीच मारिपीटक बाद भेल हड़ताल स अस्पतालक स्वास्थ्य व्यवस्था चरमरा गेल अछि। हड़ताल के बाद स इलाजक अभाव मे एखन धरि मरीजक मौतक आंकड़ा 10 के पार पहुँचि गेल अछि। हालांकि अस्पताल के अधीक्षक सं भेल समझौताक बाद स जूनियर डॉक्टर काज शुरू कय देलनि।

    हड़तालक कारण ओपीडी, इमरजेंसी, आरएसबी वार्ड समेत तमाम विभाग मे रोगिक हालत लगातार ख़राब भय रहल छल। अस्पताल मे बहुतो डेंगूक मरीज भर्ती अछि, जकर इलाज त दूर ब्लड चढ़ेबाक लेल कोनो डॉक्टर मौजूद नहि अछि।

    अस्पताल मे 3 हजार स अधिक भर्ती मरीजक लेल सीनियर डॉक्टर नाकाफी साबित भय रहल छल। हारि कय बुधदिन दुपहर सं बृहस्पति दिन भोर धरि 290 मरीज अस्पताल स पलायन कय गेल छल। ज्ञात हो कि बुधदिन नो ड्राइविंग जोन मे प्रवेश केला पर पीएमसीएच के प्रिंसिपल एकटा जूनियर डॉक्टर सं मारिपीट आ गालीगलौज केने छल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here