रुपैया बदलबाक दौरान बैंक अकाउंटेंट के आयल हार्ट अटैक

    0
    200

    भभुआ, मिथिला मिरर: बिहार मे नोटबंदीक साइड इफेक्ट कम होईत नहि देखा रहल अछि। बुधदिन करेंसी एक्सचेंजक प्रकिया के दौरान एकटा शख्स के हर्ट अटैक आबि गेल। घटना भभुआ जिलाक अछि, जहन कि पीड़ित बैंकर छथि।

    मोहनिया स्टेशन रोड स्थित एसबीआई बैंक शाखा मे काज कय रहल अकाउंटेंट हर्षवर्धन गौतम के काजक बोझ पड़ला सं अचानक सीना मे तेज दर्द भेलनि आ वो काजक दौरान अप्पन टेबुल पर खसि पड़लाह।

    तबियत बिगड़लाक बाद ब्रांच मैनेजर हुनका अस्पताल पठेलकनि जतय हुनक इलाज चलि रहल अछि। प्राथमिक उपचार के बाद बीमार अकाउंटेंट के बेहतर इलाजक लेल पटना रेफर कय देल गेल। घटना के बाद बैंक मे काफी देर धरि अफरातफरीक माहौल कायम रहल।

    ज्ञात हो कि नोटबंदी के बाद सं बिहार मे एखन धरि तीन गोटेक मौत नोट बदलबेबाक प्रक्रिया के दौरान भय चुकल अछि, जाहि मे एकटा फौजी समेत दू टा वरिष्ठ नागरिक शामिल छथि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here