पत्रकार धर्मेन्द्र हत्याकांड के दू गोट आरोपी गिरफ्तार

    0
    188

    रोहतास, मिथिला मिरर: बिहार मे रोहतास जिलाक मुफ्फसिल थाना क्षेत्र मे दू दिन पूर्व एकटा हिंदी दैनिक समाचार पत्र के पत्रकारक भेल हत्या के मामला मे पुलिस दू गोटे के गिरफ्तार कय लेलक अछि।

    पुलिस अधीक्षक मानवजीत सिंह ढिल्लो कहलनि जे, पत्रकार धर्मेन्द्र सिंह’क हत्या के मामला मे सोमदिन देर राति पुलिस अमरी गाम मे छापा मारि कय मनीष सिंह आ राधिका रमण राय के गिरफ्तार कय लेलक अछि। ओ कहलनि जे, पुलिस हत्या मे प्रयुक्त मोटरसाइकिल के सेहो बरामद केलक अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here