कार्तिक पूर्णिमा पर आस्थाक डूब लेबाक लेल उमड़ल श्रधालुक भीड़

    0
    296

    पटना, मिथिला मिरर: आय कार्तिक पूर्णिमा अछि। पूर्णिमा के अवसर पर राजधानी पटना समेत राज्यक अलग-अलग इलाका मे गंगा घाट पर भोरे सं स्नान- ध्यान करबाक लेल श्रद्धालु उमड़ि उमड़ अछि। गंगा मे डुबकी लगेबाक बाद लोक पूजा-अर्चना कय रहल छथि। रविदिन राति सं बिहारक बहुतो जगह सं श्रद्धालु पटना, बक्सर, भागलपुर के गंगा घाट पर पहुंचल छथि।

    कार्तिक पूणिमा के अवसर पर लोक गंगाक अलावा बागमती नदीक घाट पर स्नान-दान कय पूजा अर्चना करैत दर्शन लाभ लेलनि। कार्तिक पूर्णिमा हेबाक कारने बहुत शिवालय मे पूजन तथा जलाभिषेकक भीड लागल अछि।

    हिंदू धर्म मे कार्तिक पूर्णिमाक अधिक मान्यता अछि। अहि कार्तिक पूर्णिमा के त्रिपुरी पूर्णिमा या गंगा स्नानक नाम सं सेहो जानल जाइत अछि। मान्यता अछि जे, अहि दिन कृतिका मे शिव शंकर के दर्शन केला सं सात जन्म धरि व्यक्ति ज्ञानी आ धनवान होईत अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here