मुजफ्फरपुर नगर निगम मे सवा करोड़’क एलईडी वेपर घोटाला

    0
    216

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: विश्वास एवं अविश्वास प्रस्तावक लड़ाई के बाद आब नगर निगम मे घोटाला के जिन्न’क तलाश शुरू नही गेल अछि। शनिदिन वार्ड 17 के पार्षद राखी देवी पूर्व उपमहापौर मो. निसारूद्दीन उर्फ छोटे, पार्षद पति हरेंद्र कुमार एवं जावेद अख्तर उर्फ गुड्डू के उपस्थित मे शहर के रोशन करबाक लेल लगाओल जा रहल एलईडी लाइटक सच सामने अनलीह। ओ एलईडी पर लगाओल गेल फिलिप्स कंपनी के स्टीकर के हटाकय देखेलनि, जकरा उत्प्रेरक कंपनी के ऊपर लगाओल गेल अछि।

    संवाददाता सम्मेलन मे वेपरक सच देखेबाक बाद पार्षद आरोप लगेलनि जे, एकर खरीद मे सवा करोड़क घोटाला भेल अछि। चयनित एजेंसी फिलिप्स कंपनी के नाम पर कम लागत वला घटिया एलईडी लगा रहल अछि।

    पार्षद कहलनि जे, एलईडी लाइटक खरीद के लेल टेंडर के प्रक्रिया मे सेहो नियमक अनदेखी कायल गेल अछि। आपूर्तिकर्ता एजेंसी सं निगम के एकटा अधिकारीक पारिवारिक संबंध अछि। ओ कहलनि जे, कम लागत वला ढाई हजार घटिया एलईडी के खरीद 5500 रुपैयाक दर सं कायल गेल अछि। ओ नगर आयुक्त सं लगाओल जा रहल वेपरक जांच के मांग केलनि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here