मिथिला’क लाल शहीद विकास’क अंतिम संस्कार राजकीय सम्मानक संग संपन्न

    0
    268

    मधुबनी, मिथिला मिरर: झंझारपुर के रैयाम निवासी शहीद विकास कुमार मिश्र’क आय राजकीय सम्मानक संग अंतिम संस्कार संपन्न कायल गेल। ज्ञात हो कि शहीद विकासक पार्थिव शरीर शुक्रदिन साँझ मे हुनकर पैतृक गाम पहुंचल छल। शहीद विकासक अंतिम संस्कार मे हजारोक संख्या मे लोक जुटल छल।

    शवयात्रा शहीद विकास मिश्रक घर सं चलि कय शमशान भूमि धरि भेल। जतय हजारोक संख्या मे लगभग 4 किलोमीटर धरि लोक हिंदुस्तान जिंदाबाद आ शहीद विकास अमर रहे’क नारा लगबैत विकासक देशभक्ति के प्रति नतमस्तक छलाह।

    उपस्थित सब लोक नम आँखि सं शहीद विकास के अंतिम विदाई देलनि। मुखाग्नि शहीद विकासक भाई देलनि। समस्त क्षेत्रक संग सम्पूर्ण मिथिला आय शहीद विकासक शहादत के नमन कय रहल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here