अफवाह के बाद नूनक किमत 200 के पार

    0
    380

    दरभंगा, मिथिला मिरर: देशक राजधानी दिल्ली सहित यूपी तथा बिहारक किछु जिला मे लोक नोटक बदला मे नून किनबाक लेल दोकान पर भीड़ लगा रहल छथि। सूत्रक अनुसार दरभंगा आ आसपासक इलाका मे नूनक दाम 200 रुपैया प्रति किलो हेबाक चर्चा जोड़ पकड़ने अछि। जाहि कारने देर साँझ धरि नून किनबाक लेल दोकान पर लोकक भीड़ लागल रहल।

    दरभंगा, मधुबनी, समस्तीपुर सहित बिहारक बहुतो क्षेत्र मे नूनक बढ़ल अहि दामक कारने लोक रातिये सं अधिक नून कीनी कय राखि रहल अछि। अहि चर्चाक बाद दोकानदार सब अप्पन पहिने सं राखल नूनक स्टॉक के अधिक कीमत पर बेचि कय अधिक मुनाफा काम रहल अछि।

    नूनक कीमत मे अचानक बृद्धिक अफवाह ई पहिल बेर नहि भेल अछि। अहि सं पहुनहु बिहार आ यूपी मे एहेन तरहक अफवाह के बाद खुदरा व्यापारी अधिक कीमत पर नून बेचि चुकल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here