बिहार सरकारक मंत्रीक लेल शहीदक शहादत सं पैघ अछि मुख्यमंत्रीक रैली

    0
    291

    दिल्ली-मिथिला मिररः मधुबनी जिलाक रैयाम गांव निवासी आ जम्मू-कश्मीर केर कुपवाड़ामे शहीद भेल सीमा सुरक्षा बलक जवान विकाश कुमार मिश्रक शहादत सं पूरा गांव-जवार मर्माहत अछि मुदा एखनो धरि शहीदक परिजन सं नहि त बिहार सरकार कें कोनो मंत्री आ नहि स्थानीय सांसद, विधायक सुधि लेवाक कोनो प्रयास केलाह अछि। कतेक शर्मक बात थिक इ जे मिथिलाक एकटा सपूत सरहद पर देल गेल बलिदान ओहिठामक मंत्री, सांसद विधायक आ स्थनीय जनप्रतिनिधि लोकनिक लेल कोनो महत्व नहि रखैत अछि।
    मिथिला मिरर केर संपादक स्थानीय सांसद के निजी सचिवकें फोन कए इ जानकारी लेलाह कि एखन धरि सांसद बिरेन्द्र कुमार चैधरी शहीदक गांव पहुंचलाह कि नहि? एकरा बाद मिथिला मिररक संपादक बिहार सरकार के भू-राजस्व मंत्री मदन मोहन झा कें फोन लगेलाह, दू बेर फोन नहि उठल ओहिकें बाद हुनकर निजी सचिव फोन उठाकए कहला जे मंत्री आइ मोतीहारीमे मुख्यमंत्रीक कार्यक्रम मे व्यस्त छथि। संपादक द्वारा बेर-बेर अनुरोध केलाक बादो एक बेर मंत्री सं बात कराओल जाए, ताकि शहीदक विषयमे गप्प कए सकब। जवाब भेटल आब मंत्री जी सं राइत मे बात हैत।
    ओहिकें बाद पंचायती राज्य मंत्री कपिल देव कामतक ओहिठाम कतेको बेर फोन कए बात करवाक कोशिश कैल गेल मुदा ओहोठाम कियो फोन नहि उठेलाह। आखिर एकटा शहीदक शहादत पर बिहार सरकारकें मंत्री आ स्थानीय नेता लोकनिक एहन तरहक व्यवहार निश्चित रूपहिं निंदनीय अछि। आओर मिथिला मिरर एहन तरहक सत्ता परस्त नेता आ मंत्री लोकनिक असली चेहराकें अपने लोकनिक सोंझा जरूर बेनकाब करत जेकरा लेल शहीदक शहादत कोनो मतलब नहि राखैत अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here