अद्भुत होइत अछि सीतामढ़ी’क महावीर झंडोत्सव

    0
    208

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: चकौती पंचायतक बड़ी सौरिया गाम स्थित हनुमान मंदिर के निकट महावीरी झंडोत्सव के भव्यताक संग आयोजन कायल जा रहल अछि। हजारोक संख्या मे खिलाड़ी तथा श्रद्धालु परंपरागत हथियार लाठी-डंडा सं विभिन्न प्रकारक करतब देखबैत तथा झरनी गाबैत बड़ी सौरिया मे बनल भव्य महावीरी झंडा के उठा कय राढी चौक होईत छोटी सौरिया महारानी स्थान अलाह।

    ओतय पूजन के बाद झंडा के मुख्य सड़क होईत दरभंगा जिलाक जाले थाना के दोघरा बाजार स्थित रैन पर आनल गेल। एतय जाले थाना के नगरडीह, लतराहा एवं दोघरा गाम सं आनल गेल भव्य महावीरी झंडा के मिलान कराओल गेल। दू जिलाक चारि टा गामक झंडा के मिलान होईते आसपासक सौ स अधिक गामक लोकक हुजूम दर्शनक लेल उमड़ी पड़ल।

    विधि व्यवस्थाक लेल बीडीओ महेश्वर पंडित, सीओ भाग्य नारायण राय, पुपरी पुलिस इंस्पेक्टर ललित विजय तिवारी, नानपुर थाना अध्यक्ष ललन कुमार, अवर निरीक्षक मोहम्मद अलाउद्दीन, मनोज कुमार गुप्ता के अलावा दरभंगा जिलाक एएसपी दिलनवा अहमद, दरभंगा सदर एसडीओ डॉ. गजेन्द्र प्रसाद आ डीसीएलआर प्रियरंजन राजू सहित बहुतो गोटे उपस्थित छलाह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here