दरभंगा मे नीलगाय के हत्या सं माहौल तनावपूर्ण

    0
    239
    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगा जिलाक हायाघाट प्रखंड के अशोक पेपर मिल थानाक्षेत्रक पिपरौलिया गामक समीप सोमदिन एकटा नील गायक गोली मारि कय हत्या कय देल गेल। घटना पिपरौलिया गाम सं तीन सौ मीटर उत्तर- दक्षिण दिशा मे अंहैराक खेत मे घटल।
    घटना के बाद एकटा समुदायक लोक आक्रोशित भय गोली मारय वला दू गोट युवक के पिटाई कय देलक। एम्हर, ग्रामीणक सूचना पर एपीएम थानाध्यक्ष उमेश कुमार उक्त गाम पहुँचि कय दोषी के गिरफ्तार कय लेलनि, आ घटना स्थल के मुआयना केलनि।
    थानाध्यक्ष के अनुसार उक्त आदमी चंदनपट्टी के रहय वला अछि। थानाध्यक्ष के अनुसार प्रथम दृष्टया नीलगायक गोली लगला सं मौत भेल अछि मुदा पोस्टमार्टम रिपोर्ट के बाद किछु स्पष्ट कहल जा सकैत अछि। हालांकि, घटनास्थल पर पोस्टमार्टम के लेल हायाघाट पशु चिकित्सालय के भ्रमणशील पशु चिकित्सा पदाधिकारी डॉ. शशिचन्द्र भारती पहुंच गेल छलाह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here