पूर्ण रूपे सजि क तैयार अछि छैठक घाट, संझुका अर्घ आय

    0
    238

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: कांचहीं बांस के बहंगिया हो दीनानाथ…, अरज सुनी ने हमार हे छठी मइया…, आन दिन उगै छ हो दीनानाथ, एहेन छैठक गीत सं माहौल पूर्णरूपे छैठ मय भय गेल अछि। घर सं बाजार धरि ऐहेन गीत गूंजी रहल अछि। महापर्व छैठक उल्लास सब दिस फैल गेल अछि। पवित्रता के बीच पूरा आस्थाक संग शनिदिन खरना संपन्न भेल। आब सायंकालीन अर्घ्यक तैयारी मे व्रती तथा परिजन जुटि गेल छथि।
    बूढ़ी गंडक नदी के तेपरी घाट पर नवयुवक छैठ पूजा समिति संघ, तेपरी गोसाई टोला के सदस्य साफ-सफाई केलनि। सफाई मे लागल सुमनजीत, विकास, राहुल, मुकेश,  मंटू, नूनूजी आदि के अनुसार छैठ व्रतिक सुविधाक लेल पूर्ण सफाई कायल जा रहल अछि। अहि के संग तेपरी मुख्य सड़क सं घाट धारी करीब एक किलोमीटरक दूरी मे लाइटक व्यवस्था कायल गेल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here