सात निश्चय योजनाक समीक्षा’क लेल 9 नवम्बर सं मुख्यमंत्रीक दौरा

    0
    243

    पटना, मिथिला मिरर: बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अप्पन सातो निश्चय के पूरा करबाक लेल आगामी 9 नवंबर सं बिहारक विभिन्न जिला मे यात्रा पर निकलताह। पहिल चरण मे नीतीश कुमार 5 जिलाक यात्रा करताह। सूत्रक अनुसार सबसं पहिने अहि योजनाक शुरूआत 9 नवंबर क पश्चिमी चंपारण सं कायल जायत। मुख्यमंत्री अहि के बाद 10 नवंबर क पूर्व चंपारण, 11 नवंबर क मुजफ्फरपुर के यात्रा करताह। पहिल चरण मे ई यात्रा 4 दिन धरि चलत। 12 नवंबर क नीतीश कुमार सीतामढ़ी आ शिवहर के यात्रा करताह।

    अहि दौरान नीतीश कुमार सब जिला मे शराबबंदीक लेल चेतना सभाक आयोजन सेहो करताह। संगहि सात निश्चय के विषय मे जनबाक लेल सरकारी कार्यालयक सेहो निरीक्षण करताह आ ओतए देबय वला सुविधाक विषय मे जायजा लेताह। मुख्यमंत्री अहि जिला मे बनल सुविधा सेवा केन्द्र, शिकायत निवारण केन्द्र, परामार्श केन्द्र, कौशल विकास केन्द्रक निरीक्षण करताह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here