अंडर-19 टीम’क नेतृत्व करता सार्थक रंजन

    0
    256

    सहरसा, मिथिला मिरर: जन अधिकार पार्टी के संरक्षक राजेश रंजन उर्फ़ पप्पू यादव के पुत्र सार्थक रंजन के चैलेंजर्स टूर्नामेंट अंडर-19 टीमक कप्तान नियुक्त कायल गेल अछि। कठिन परिश्रम आ लगन के बल पर सार्थक अहि मुकाम के हासिल केलक अछि।

    सार्थक के शुरुआतहि सं क्रिकेट मे रूचि रहल अछि, जाहि के लेल सार्थक मैदान पर जी तोड़ मेहनत करैत अछि। सार्थक के माँ सांसद रंजीता रंजन सेहो टेनिस खिलाडी रहि चुकल छथि। अहि सं पहिने सेहो सार्थक अप्पन उत्कृष्ट खेल के बदौलत भारतीय अंडर-19 टीम मे चुनल जा चुकल छथि।

    चैलेंजर्स टूर्नामेंट के नेतृत्व करबाक मौक़ा सार्थक के पहिल बेर भेटल अछि। जाहि के लय क सार्थक बहुत उत्साहित छथि। ओतहि सार्थक के कप्तान चुनल गेल पर जाप के जिला अध्यक्ष अब्दुल सलाम, प्रवक्ता शैलेन्द्र शेखर, जन अधिकार पार्टी के नेता राजेश झा, समाजसेवी दीपक झा, प्रभाष झा, अमरेंद्र झा आदि हर्ष व्यक्त केलनि अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here