रेलवे मिलेलक सुलभ इंटरनेशनल सं हाथ, बिंदेश्वर पाठक बनताह ब्रांड एंबेसडर

    0
    282

    दिल्ली, मिथिला मिरर: रेलवे परिसर के साफ़-सुथरा रखबाक प्रयास के तेज करैत भारतीय रेलवे सुलभ इंटरनेशनल के संग हाथ मिलेलक अछि। संगहि रेलवे सुलभ इंटरनेशनल के संस्थापक बिंदेश्वर पाठक के ‘स्वच्छ रेल मिशन’ के ब्रांड एम्बेसडर बनेबाक निर्णय लेलक अछि।

    रेल मंत्रालय के एकटा वरिष्ठ अधिकारी के अनुसार रेल मंत्री सुरेश प्रभु द्वारा सुलभ इंटरनेशनल के संस्थापक बिंदेश्वर पाठक के भारतीय रेलवे द्वारा स्वच्छ रेल मिशनक ब्रांड एंबेसडर के तौर पर सम्मानित कायल जायत। सुलभ इंटरनेशनल के मिशन के तहत देश भरि मे किछु महत्वपूर्ण रेलवे स्टेशन के साफ रखबा के जिम्मेदारी देल गेल अछि।

    पायलट परियोजना के तौर पर सुलभ सितंबर सं पांच गोट महत्वपूर्ण रेलवे स्टेशन पर सफाई आ रखरखावक काज शुरू केलक अछि। जाहि मे गोरखपुर, पुरानी दिल्ली, जयपुर, अहमदाबाद आ ग्वालियर रेलवे स्टेशन शामिल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here