छैठ मे ट्रेनक फर्श पर यात्रा करबाक लेल मजबूर लोक

    0
    261
    मधुबनी, मिथिला मिरर: छैठ पर्वक आब चंद दिन बांकी अछि। बिहार सं बाहर रहय वला बहुतो परिवार के गाम एबाक सिलसिला जारी अछि। अन्य दिनक अपेक्षा ट्रेन सं मधुबनी स्टेशन पर उतरय वला यांत्रिक संख्यां मे वृद्धि देखल जा रहल अछि। तकरीबन सब ट्रेन मे यात्रीक संख्या बहुत अधिक अछि। एक-दू दिन मे और अधिक भीड़ बढ़बाक संभावना अछि।
    सब सं अधिक भीड़ दिल्ली सं आबय वला ट्रेन स्वतंत्रता सेनानी, शहीद आ गरीब रथ मे देखल जा रहल अछि। ओतहि कोलकाता सं गंगासागर एक्सप्रेस मे सेहो भीड़ देखल जा रहल अछि। छैठ के लय क स्टेशन पर अलग सं कोनो व्यवस्था नहीँ कायल गेल अछि। ओतहि, बहुतो यात्री दरभंगा तथा पटना मे उतरि कय बस सँ मधुबनी, झंझारपुर तथा जयनगर पहुच रहल छथि।
    रेलवे सूत्रक अनुसार एखन कोनो खास भीड़ नहि अछि। एक-दू दिन मे ट्रेन सं ज्यादातर लोक के एबाक संभावना अछि। काफी संख्या मे लोक दिवाली मे घर पहुंच गेल छथि। छैठ पूजा के लेल जयनगर तक के लेल तीनटा स्पेशल ट्रेन चलाओल गेल अछि। जाहि मे दू टा आनंद बिहार सं आ एकटा बैंगलोर सं अबैत अछि, बावजूद एकर छैठ पर्व पर लोक ट्रेनक फर्स पर बैसि कय यात्रा करबाक लेल मजबूर अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here