बरौनी सं पकड़ल गेल दू गोट संदिग्ध बांग्लादेशी नागरिक, कश्मीर जेबाक छल तैयारी

    0
    197

    बरौनी, मिथिला मिरर: बिहार के बरौनी जंक्शन सं रेल पुलिस दू गोट संदिग्ध बांग्लादेशी नागरिक के गिरफ्तार केलक अछि। बांग्लादेशी नागरिक के गिरफ्तारी ओहि समय भेल जहन पुलिस ट्रेन मे जांच अभियान चला रहल छल। जांच के दौरान पुलिस के संपर्कक्रांति एक्सप्रेस मे दुनू पर संदेह भेल। पूछताछ के दौरान ओ स्वं के बांग्लादेशी बताबैत बांग्लादेश के बार्डर सं भारत मे प्रवेश करबाक बात कहलक।

    दुनू सँ जहन पासपोर्ट आ वीजा मांगल गेल त दुनू वीजा, पासपोर्ट नहि हेबाक बात स्वीकारलक। दुनूक संग सं पुलिस बांग्लादेशी आ भारतीय सिम कार्ड संग मोबाइल बरामद केलक अछि।

    फिलहाल पुलिस दुनू संदिग्ध सं पूछताछ कय रहल अछि। पूछताछ के दौरान ओ अप्पन नाम मोहम्मद मुस्तफा आ मोहम्मद सलीम बतौलक अछि। पूछताछ मे दुनू इहो स्वीकारलक जे दुनू जम्मू-कश्मीर जा रहल छल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here