मधुबनी मे मिठाई दोकान मे छापेमारी

    0
    274

    मधुबनी, मिथिला मिरर: दिवाली पर्वक मौका के देखैत शहर के विभिन्न मिठाई दोकानक मे खाद्य सुरक्षा पदाधिकारी द्वारा छापेमारी कायल गेल। अहि दौरान बहुतो दोकान सं अधिकारी नमूना लेय जांचक लेल अपना संग लय गेलाह। शहर के बजरंग स्वीटस सं पनीर व बर्फी के नमूना प्राप्त कायल गेल। ओतहि राज खोआ भंडार सं लड्डु के नमूना लय गेल।

    खाद्य सुरक्षा पदाधिकारी अजय कुमार के अनुसार दिवाली पर्वक लेल शहर मे बहुतो जगह सं शिकायत प्राप्त भेल छल। ओ कहलनि जे, हमर उद्देश्य अछि जे लोक के शुद्ध खाद्य पदार्थ मुहैया हो। छापेमारी के दौरान ओ ठेला पर बेचल जा रहल छोला भटूरा के सेहो बहुतो ठाम जांच पड़ताल केलनि।

    ओ बहुतो आवश्यक हिदायत दैत कहलनि जे, यदि लोक के शुद्ध चीज मुहैया नहि कराओल गेल त कानूनी कार्रवाई होयत। ओ कहलनि जे, तेल के बेर-बेर गर्म कय इस्तेमाल सं रेंसीडीटी बढ़ैत अछि जे, स्वास्थ्य के लेल हानिकारक अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here