छात्र बनौलक प्रिंसिपल के बंधक, पुलिस एलाक बाद भेल रिहाई

    0
    160

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: रजिस्ट्रेशन के तिथि बढेबाक मांग के लय क बृहस्पति दिन छात्र सब समस्तीपुर मे जमि कय हंगामा केलक। घटना समस्तीपुर के कॉलेज के अछि।

    तमसायल छात्र सब प्रिंसिपल के बंधक बनाकय हंगामा केलक। हंगामा कय रहल छात्र के कहब छल जे, इंटरमीडिएट के रजिस्ट्रेशन के लेल बहुत कम समय देल गेल। अहि बीच दीवाली आ छैठ के छुट्टी सेहो अछि जाहि कारने दूरदराज सं आबय वला छात्र के परेशानी होयत।

    जाहि के लेल छात्र सब रजिस्ट्रेशन के तिथि बढेबाक मांग कय रहल छल। जकरा प्रिंसिपल मनबा सं मना कय देलनि। अहि के बाद आक्रोशित छात्र प्रिंसिपल के चेंबर मे बंधक बना लेलक। स्थिति बिगड़ैत देखि प्रिंसिपल पुलिस के सूचना देलनि।

    घटना के सूचना भेटला पर एसडीओ आ डीएसपी दल-बलक संग मौक़ा पर पहुँचि कय छात्र सं बातचीत केलनि। अहि के बाद प्रिंसिपल के मुक्त कराओल जा सकल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here