जेएनयू छात्र मो. नजीब के अपहरण मामला पर ‘एनएसयूआई’ फूंकलक गृह मंत्री’क पुतला

    0
    207

    दरभंगा, मिथिला मिरर: एनएसयूआई के दरभंगा इकाई बुधदिन जेएनयू के छात्र मो. नजीब के अपहरण आ अपहरण के 12 दिन बीत गेला के बादो एखन धरि किछु जानकारी नहि भेटला के कारने सरकार के खिलाफ नारेबाजी करैत गृह मँत्री राजनाथ सिंहक पुतला दहन केलक। कार्यक्रम के नेतृत्व जिला महासचिव मो. आरफीन करीम कय रहल छल।

    ज्ञात हो कि जेएनयू कैम्पस मे मो. नजीब अहमद का 15 अक्टूबर के राति किछु लोक सं विवाद भेल छल, तहिये सं ओ लापता अछि। मौका पर भेल सभा के संबोधित करैत मो. आरफीन करीम कहलनि जे, जेएनयू सं छात्र गायब भय गेल आ सरकार चैन के नींद सुतल अछि।

    बात-बात पर ट्वीट करय वला मोदी सरकार आय मौन कियाक अछि। भाजपा सरकार दलित-अल्प संख्यक विरोधी अछि। संगहि मो. आरफीन कहलनि जे दिल्ली मे प्रदर्शन कय रहल एनएसयू के टीम पर पुलिस लाठीचार्ज कय रहल अछि आ जेल भेज कय छात्रक आवाज के दबेबाक प्रयास कय रहल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here