बिहार मे शराबक संग चारि गोट तस्कर गिरफ्तार

    0
    194

    बांका, मिथिला मिरर: पावनि-तिहार के अहि मौसम मे नीतीश कुमारक शराब बंदी कानून के शराब तस्कर पर कोनो असर नहि पड़ि रहल अछि। तस्कर बेख़ौफ़ शराबक तस्करी मे लागल अछि। एकर एकटा ताज़ा उदहारण बिहार के बांका जिला सं भेटल अछि।

    बांका आ नवादा जिलाक पुलिस बृहस्पति दिन भारी मात्रा मे शराब बरामद कय चारि गोट  तस्कर के गिरफ्तार केलक अछि। जानकारी के अनुसार कटोरिया थाना के पुलिस देवघर-बेलहर मार्ग पर सुईया बाजार के निकट एकटा कार सं पांच कार्टून विदेशी शराबक संग तस्कर के गिरफ्तार केलक अछि।

    तस्कर के पहिचान संतोष कुमार मंडल के रुप मे कायल गेल अछि, जे झारखंड के देवघर सं शराब लय क भागलपुर जिला के नौगछिया जा रहल छल। पुलिस तस्कर के खिलाफ मामला दर्ज कय पूछताछ कय रहल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here