बिहार मे बदलाव, फिरौती मे धन नहि गन चाही

    0
    211

    भागलपुर, मिथिला मिरर: भागलपुर के वार्ड न.14 के पार्षद अबरार हुसैन उर्फ बेला के किछु दबंग द्वारा धमकाबय के मामला प्रकाश मे आयल अछि। बताओल जा रहल अछि जे, पार्षद के चुनाव नहि लड़बाक लेल धमकी देल गेल अछि। संगहि रंगदारीक मांग सेहो कायल गेल अछि। ई जानि कय आश्चर्य होयत जे अहि बेर रंगदारी मे रुपैयाक मांग नहि कायल गेल अछि। एहि बेर रंगदारी मे हथियार आ गोली उपलब्ध करेबाक डिमांड राखल गेल अछि।

    जानकारी के अनुसार स्थानीय बदमाश तनवीर चुनाव नहि लड़बाक लेल स्थानीय पार्षद के धमकी देलक अछि। संगहि धमकी देलक अछि जे, चुनाव लाडबा पर पार्षद के जान जा सकैत अछि। अहि मामला मे पार्षद कहलनि जे,रंगदारी के रूप मे हमरा सं चारि टा पिस्टल, सौ राउंड गोली आ एकटा मोटरसाइकिल मांग कायल गेल अछि।

    पार्षद के जानकारी पर स्थानीय तातारपुर थाना मे प्राथमिकी दर्ज कराओल गेल अछि। पुलिस के अनुसार मंगलदिन दस सं पौने दू बजे धरि पार्षद के चारि बेर फोन कायल गेल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here