खोपड़ी मे स्कूल हेबाक बादो पढ़बाक इच्छा चरम पर

    0
    219
    समस्तीपुर प्रखंड के अंतर्गत प्राथमिक विद्यालय पुबारी टोल बेला विभाग के लापरवाही के कारण अप्पन दुर्दशा पर नोर बहा रहल अछि। 2010 सं संचालित अहि स्कूल मे कक्षा एक सं पांच तक के बच्चा पढ़ैत अछि।
    एक दिस केंद्र सरकार घर-घर मे शौचालय बनाबय के काज कय रहल अछि। ओतहि दोसर दिस अहि सरकारी स्कूल के शौचालय मे कार्यालय चलि रहल अछि। बालिका के लेल बनाओल गेल अहि शौचालय मे कुर्सी राखि कय स्कूलक कार्यालय चलैत अछि।
    एकटा झोपड़ी मे कक्षा एक सं पांच तक के बच्चा पढ़ाई करैत अछि। प्रभारी संजीव कुमार झा के अनुसार अहि विद्यालय के अप्पन भवन नहि अछि। एतय पढ़ि रहल बच्चा के परिजन सं चन्दा इक्कठा कय झोपड़ीक निर्माण कराओल गेल।  ओ कहलनि जे शिक्षा विभाग के बेर-बेर लिखित देल गेल अछि, मुदा विभागक कोनो अधिकारी ध्यान नहि दैत अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here