भाजपा सं निलंबित विधान पार्षद टुन्ना पाण्डेय के उच्च न्यायालय मे जमानत

    0
    195

    पटना, मिथिला मिरर: पटना उच्च न्यायालय हावड़ा-गोरखपुर पूर्वाचल एक्सप्रेस ट्रेन मे सवार एकटा नाबालिग लड़की के संग गत 24 जुलाई क यौन उत्पीड़न मामला मे आरोपी भाजपा सं निलंबित विधान पार्षद टुन्ना पाण्डेय के सोमदिन जमानत दय देलक।

    न्यायाधीश हेमंत कुमार श्रीवास्तव के खंडपीठ अहि मामला मे पाण्डेय के याचिका के सुनवाई करैत जमानत देलक अछि।

    गत 24 जुलाई क हावड़ा-गोरखपुर पूर्वाचल एक्सप्रेस ट्रेन मे यात्रा कय रहल एकटा 12 वर्षीय नाबालिग लड़की के माता-पिता द्वारा अहि मामला मे लिखित शिकायत केलाक बाद टुन्ना जी पाण्डेय के गिरफ्तार कय न्यायिक हिरासत मे जेल भेजल गेल छल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here