उपमुख्यमंत्री तेजस्वी यादव के मधुबनी मे भव्य स्वागत

    0
    216

    मधुबनी, मिथिला मिरर: सकरी स्थित एनएच 57 पर स्थानीय विधायक समीर कुमार महासेठ तथा फैयाज अहमद महागठबंधन कार्यकर्ता के संग उपमुख्यमंत्री तेजस्वी यादव के भव्य स्वागत केलनि। निर्धारित कार्यक्रम के अनुसार उपमुख्यमंत्री तेजस्वी यादव के सहरसा मे होय वला समीक्षा बैसक मे एनएच 57 के रस्ते जेनाई तय छल।

    अहि क्रम मे एनएच 57 पर सकरी मे हुनकर स्वागत करबाक लेल सैकड़ो कार्यकर्ताक संग मधुबनी के विधायक समीर कुमार महासेठ, बिस्फी विधायक डा० फैयाज अहमद पूर्वी मंत्री राजकुमार महासेठ समेत गठबंधन के बहुतो दिग्गज उपस्थित छलाह।

    लोकक भीड़ देखि कय उपमुख्यमंत्री गाड़ी सं नीचाँ त उतरलाह मुदा समय अभाव के कारण तुरंत विदा भय गेलाह। उपमुख्यमंत्री हाथ जोड़ी कय लोकक अभिवादन करैत अभार व्यक्त केलनि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here