बिहार मे 1 लाख 80 हजार मास्टरक बहाली जल्द

    0
    247

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार मे टीइटी-एसटीइटी के बाद सरकारी स्कूल मे अगिला साल 1.80 लाख सं अधिक शिक्षक के नियुक्ति होयत। शिक्षा विभाग अहि के लेल तैयारी शुरू कय देलक अछि। जाहि के लेल कमिटी गठित कायल जायत। अहि मे 30 टा बच्चा पर एकटा शिक्षक के अनुपात के ध्यान मे राखल जायत।

    वर्तमान मे स्कूल मे छात्र-शिक्षक के अनुपात करीब 50:1 के अछि। वर्तमान मे जतय 1.02 लाख पद खाली अछि, ओतहि पिछला चारि साल मे 80 हजार सं एक लाख तक शिक्षक रिटायर भेलाह। बिहार सरकार 2012 मे प्राथमिक सं लयकय प्लस टू स्कूल मे करीब दू लाख पद पर बहाली प्रक्रिया शुरू केने छल।

    पिछला चारि साल मे एखन धरि एतेक नियोजन प्रक्रिया के बावजूद आधा सं अधिक पद खाली अछि।प्रारंभिक स्कूल मे 85 हजार, हाइस्कूल मे साढ़े छह हजार आ प्लस टू मे 12 हजार पद रिक्त अछि। हाई व प्लस टू स्कूल मे फिलहाल नियुक्ति प्रक्रिया चलि रहल अछि। अहि मे किछु पद भरबाक उम्मीद अछि। 2017-18 दिसंबर कय होबयवला टीइटी तथा एसटीइटी के परिणाम इलाके बाद नव बहाली के लेल आवेदन लेल जायत।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here