गांधीगिरी पर उतड़लाह दरभंगा इंजीनियरिंग काॅलेजक छात्र

    0
    256

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगा कॉलेज ऑफ इंजीनियरिंग के छात्र-छात्रा काॅलेज प्रशासन के खिलाफ गांधीगिरी पर उतरि आओल अछि। हिनकर सभक आरोप छैन्ह जे, काॅलेज मे कोनो तरहक सुविधा उपलब्ध नहि अछि। बेर-बेर रिक्वेस्ट केलाक बादो काॅलेज प्रशासन कोनो ध्यान नहि दय रहल अछि।

    जानकारी के अनुसार विभिन्न मांग के दोहराबैत छात्र कॉलेज गेट पर अनिश्चितकालीन हड़तालक आह्वान कय बैसल छथि। छात्र कहलनि जे, अनुशासनिक नियम के नाम पर कॉलेज प्रशासन द्वारा छात्र के मानसिक रूप सं प्रताड़ित कायल जा रहल अछि।

    कॉलेज मे गुणवत्तापूर्ण शिक्षक के व्यवस्था, लैब इंस्ट्रक्टर, पूरा कैंपस वाई-फाई के व्यस्था, कॉलेज मे ट्रेनिंग एवं प्लेसमेंट सेलक व्यस्था सहित अन्य मांग शामिल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here