दिवाली पर नीतीश कैबिनेटक मिथिलांचल के तोहफा

    0
    174

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अप्पन कैबिनेटक बैसक मे मिथिला वासी’क लेल करोड़ो के दिवाली गिफ्ट देलनि अछि। बताओल जा रहल अछि जे, अहि कैबिनेटक बैसक मे कुल आठ गोट योजना सहित अन्य योजना के मंजूरी देल गेल। संगहि बहुत रास पैघ घोषणा सेहो कायल गेल।

    बैसक मे दरभंगा के अलीनगर प्रखंड मे लगभग बीस करोड़ छियानवे लाख पचास हजार के लागत सं गरौल वीयर सिंचाई योजनाक निर्माण के मंजूरी देल गेल। संगहि कोशी नदी स्थित बलुआहाघाट एवं गंडौल भाया बिरौल दरभंगा सड़कक लेल चारि सौ चारि करोड़ पैंतालीस लाख रुपैयाक स्वीकृति देल गेल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here