दानापुर-भागलपुर इंटरसिटी ट्रेन पर पथराव, महिला यात्रीक संग छेड़छाड़

    0
    180

    भागलपुर, मिथिला मिरर: पूर्व मध्य रेलवे के लखीसराय-मोकामा रेलखण्ड’क बीच बड़हिया रेलवे स्टेशन पर दानापुर-भागलपुर इंटरसिटी एक्सप्रेस ट्रेन मे बुधदिन किछु छात्र जमिकय हंगामा केलनि।

    ट्रेन दानापुर सं चलिकय जहने बड़हिया स्टेशन पर पहुंचल कि एसी बोगी मे घुसिकय छात्र सीटक लेल हंगामा शुरू कय देलक। बाद मे महिला यात्रीक संग छेड़खानी सेहो शुरू कय देलक। यात्रा कय रहल दोसर यांत्रिक विरोध केला छात्र मारिपीट करय लागल आ बाद मे ट्रेन पर पथराव कय देलक।

    छात्रक अहि उपद्रव मे बहुतो यात्री के पाथर सं चोट लागि गेलनि। जानकारीक अनुसार छात्र बख्तियारपुर स्टेशन सं ट्रेन मे सवार भेल छल। मारिपीट के दौरान यात्री प्रशांतक सिर फाटि गेलनि, ओतहि बहुतो महिला यात्री के चोट लागल अछि। मामला के खिलाफ किऊल रेल थाना मे मुकदमा दर्ज कराओल गेल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here