सिलेंडर ब्लास्ट भेला सं लागल आगि, 30 टा दोकान जरि कय खाक

    0
    249

    कटिहार, मिथिला मिरर: कटिहार के सोनाली रेलवे स्टेशनक समीप सब्जी मंडी आ मछली बाजार मे लागल आगि मे लगभग 30 गोट दोकान जरि कय ख़ाक भय गेल। जानकारीक अनुसार स्थानीय होटल मे गैस सिलेंडर फटबा सं आगि लागल छल, जाहि मे सब्जी मंडी आ मछली बाज़ार के बहुत रास दोकान धुधुआ कय जरि गेल।

    घटनाक समय सब्जी मंडी आ मछली बाजार मे खरीदारक भीड़ अधिक बताओल जा रहल अछि, जाहि सं लोक मे अफरातफरी मचि गेल। सूत्रक अनुसार आगि मे एखन धरि कुल 3 गोटेक झुलसबाक खबरि अछि।

    ब्लास्ट एतेक जोरदार छल जे, होटल पूर्ण रुपे मलबा मे तब्दील भय गेल। राहत बचाव कार्यक दौरान होटल मे कार्यरत एकटा महिला आ होटल मालिकक पुत्रीक लहास मालवा सं बरामद कायल गेल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here