उरी हमला के विरोध मे एमएसयू द्वारा जंतर-मंतर पर पाकिस्तानी प्रधानमंत्री’क पुतला दहन

    0
    274

    दिल्ली, मिथिला मिरर: मिथिला स्टूडेंट यूनियन के दिल्ली टीम द्वारा रविदिन दिल्ली के जंतर-मंतर पर उरी मे भेल आतंकवादी हमला के विरोध मे पाकिस्तानी प्रधानमंत्री नवाज शरीफ के पुतला जराओल गेल।पुतला दहन के बाद एमएसयू के कार्यकर्ता द्वारा कैंडल मार्च निकालि कय शहीदक आत्माक शांति के लेल 2 मिनट के मौन सेहो राखल गेल।

    एमएसयू कार्यकर्ता प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी स अपील केलनि जे, हमरा इजराइल एहेन देश स सिखबाक चाही कि एकटा छोट देश दुश्मनक हमला के खिलाप कोना सख्त कारवाई करैत अछि। भारत सेहो आब जवाब देबय पड़त।

    अहि कार्यक्रम मे संस्थाक दिल्ली अध्यक्ष राहुल मिश्र, उपाध्यक्ष अविनाश, कोषाध्यक्ष मुकेश यादव, मनोज यादव, संतन चौधरी सहित दर्जन भरि कार्यकर्ता उपस्थिति छलाह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here