सरकारी व्यवस्थाक मूंह पर तमाचा, भूखक कारण एकटा युवती’क मौत

    0
    250

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बिहार के मुजफ्फरपुर मे 15 सालक एकटा लड़की भूख सं दम तोड़ि देलक, जहन कि परिवारक चारि टा अन्य लोक सेहो मौतक कगार पर अछि। घटना मड़वन प्रखंड के बंगड़ी गामक अछि। गाम के दिव्यांग हरेन्द्र साहक पूरा परिवार दाना-दाना के मोहताज बनल अछि, मुदा सरकारक तमाम योजना दिव्यांगक घर धरि आबैत-आबैत दम तोड़ि दैत अछि। एम्हर लाचार हरेन्द्र’क बेटी सोनी के मौतक कारण जिला प्रसाशन बीमारी बतारहल अछि।

    पीड़ित परिवारक हालत एहेन ख़राब छल कि आसपासक लोक चंदा आ मुखिया द्वारा तीन हजार रुपैया देलाक बाद बृहस्पति दिन कफन के जोगाड़ भय सकल। पीड़ित परिवार के संग पड़ोसी के सेहो दावा अछि जे, पीड़ित के घर मे अन्नक एकटा दाना नहि छल। जाहि कारण पिछला चारि दिन सं घर मे चूल्हा नहि पजरल छल।

    जानकारी के अनुसार दिव्यांग हरेन्द्र साहक 18 वर्षीय पुत्री सोनी कुमारी के तबियत विश्वकर्मा पूजा के दिन सं अधिक खराब भय गेल। परिवार सोनी के पीएचसी लय गेल, जतय डॉक्टर खूनक कमी बताबैत खून चढ़ेबाक लेल एसकेएमसीएच रेफर कय देलक।

    रुपैयाक अभाव मे सोनी के परिजन सोनी के एसकेएमसीएच नहि लय जा सकल आ सोनी के मौत भय गेल। जानकारी के अनुसार हरेन्द्र के परिवार मे ई तेसर मौत भूख स भेल अछि। सोनी के मौत के बाद अहि परिवार पर सरकार एतेक मेहरबान अछि जे, बोरा मे भरि कय अनाज पहुंचायल जा रहल अछि।

    परिवारक नोर पोछबाक लेल अफसरक संग-संग खाकी आ खादी सब पहुंच रहल अछि। आनन फानन मे एकटा रिपोर्ट बना कय परिजन स दस्तखत आ निशान सेहो लय लेल गेल अछि, जाहि मे सोनी के मौतक कारन लंबी बीमारी बताओल गेल अछि। मुदा परिवार आ समाज चीखि-चीखि कय सोनी के मौतक कारण भूख बता रहल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here