अनिल मिश्रा के अभिनय मे एकटा और नव सीरियल

    0
    232
    दिल्ली, मिथिला मिरर: मैथिली फिल्म सस्ता जिनगी महज सेनुर आ सेनुरक लाज एहेन पारिवारिक फिल्म के निर्माता बालकृष्ण झा एकटा नव मैथिली धारावाहिक ‘स्वर्ग ने बिनु मुईने’ लय क आबि रहल छथि। अहि धारावाहिक के प्रसारण 2 अकटूबर सं हरेक रविदिन साँझ के 6 बजे डीडी बिहार चैनल पर कायल जायत।
    अहि धारावाहिक के मुख्य अभिनेता अनिल मिश्र कहै छथि कि, क्या मार सकेगी मौत उसे, औरों के लिए जो जीता है.. मिलता है जहां का प्यार उसे, औरों के जो आँसू पीता है। मैथिली धारावाहिक ‘स्वर्ग ने बिनु मुईने’ में अहि पंक्ति के जीवंत करैत एकटा नव रंग मे अहाँ सभक समक्ष आबि रहल छी। अनिल कहै छथि जे, बालकृष्ण झा अहि धारावाहिक के लेल हम्मर छुङाव केलनि आ हम अपना दिस सं भरपूर कोशिश कय रहल छी जे, बालकृष्ण झा’क संग-संग अहूँ सबहक उम्मीद पर खड़ा उतरी।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here