24 घंटा के भीतर पूर्णिया मे लूट’क दोसर घटना

    0
    204

    पूर्णिया। मिथिला मिरर: पूर्णिया मे एकबेर फेर अपराधी के हौसला बुलंद भेल जाइत अछि। 24 घंटाक भीतर पूर्णिया मे अपराधी लूटक दू टा वारदात के अंजाम देलक अछि। मरंगा थाना क्षेत्र मे लूटक दू टा पैघ वारदात भेल। एकटा केरा व्यवसायी अब्दुल्ला स अपराधी साढ़े पांच लाख रुपैया लूटि लेलक जहन कि दोसर घटना मे व्यवसायी मुन्ना मेहता के गोली मारि कय अपराधी डेढ़ लाख रुपैया लूटि लेने छल।

    दुनु मामला मे एखन धरि पुलिस के कोनो सुराग हाथ नहि लागल अछि। फिलहाल पुलिस लगातार छापामारी कय रहल अछि। पुलिसक दावा अछि जे, घटना मे शामिल गैंगक पहचान कय लेल गेल अछि, जाहि मे कोढ़ा गिरोहक हाथ भय सकैत अछि। पुलिस जल्द सं  जल्द अपराधी के गिरफ्तार करबाक दावा कय रहल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here