सुच्चा मैथिल संसथान द्वारा मुफ्त स्वास्थ्य जाँच शिविर एवं स्वेच्छादान’क आयोजन

    0
    278

    दिल्ली, मिथिला मिरर: मुम्बई के नजदीक नालासोपारा पूर्व स्थित सन्तोष भुवन मे 17 सितंबर कय ‘सुच्चा मैथिल संस्थान’ द्वारा शिल्पकार भगवान विश्वकर्मा के तृतिय पूजनोत्सवक उपलक्ष्य मे हेल्थ चेकअप कैंप’क आयोजन कायल गेल, जाहि मे बहुत संख्या मे लोक लोक स्वास्थ्य जाँच करबौलनि। संगहि संध्या काल मैथिलीक प्रसिद्ध फिल्म निर्माता मुरलीधर आ टीम द्वारा ‘मुरलीधर नाइट’ सांस्कृतिक कार्यक्रम प्रस्तुत कायल गेल, जे समाजसेवी ललन चौधरी उर्फ़ ललन दरभंगावाला के समर्पित छल।

    अहि कार्यक्रम के माध्यम स मुरलीधर सहित गायक विनोद गुआर, परमानंद शर्मा, संजय झा एवं लवकिशन, ललन चौधरी के किडनी प्रत्यारोपण’क लेल धन जुटेबाक लेल लोक सं स्वेच्छादान करबाक आग्रह केलनि। हुंकार मदद के लेल बहुतो लोक यथा संभव आर्थिक मदद’क घोषणा केलनि।

    ज्ञातव्य हो कि ‘सुच्चा मैथिल संसथान’ मिथिला संस्कृति के रक्षार्थ बनल एकटा सामाजिक संगठन अछि, जकरा द्वारा सामाजिक कार्य के संग लोक के मिथिलाक संस्कृति स अवगत करबैत अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here