बस कंपनी’क कैशियर के गोली मारि कय हत्या

    0
    191

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: जिला के भगवानपुर चौक स्थित सदर थाना स किछु दूरी पर दू ता मोटरसाइकिल सवार तीनटा अपराधी एकटा बस कंपनी के कैशियर के गोली मारि कय हत्या कय देलक।जहन कि संग जा रहल कंडक्टर के घायल कय देलक। दूनू कंपनी’क रुपैया जमा करेबाक लेल माड़ीपुर स्थित सेन्ट्रल बैंक जा रहल छल।

    सूत्रक अनुसार, कैशियर संजय सिंह आ कंडक्टर फ़िरोज़ कंपनी’क कैश जमा करेबाक लेल ऑफिस स सेन्ट्रल बैंक के माड़ीपुर शाखा जा रहल छल, तखनहि तीन टा अपराधी ओवरटेक कय रुपैया सं भरल बैग छिनय लागल। संजय आ फ़िरोज़ के विरोध पर अपराधी दूनू पर फायरिंग कय देलक। संजय के सीना मे गोली लगला सं घटनास्थल पर मौत भय गेल, जहन कि फ़िरोज़ के कान मे गोली लगला सं घायल भय गेल।

    घटना स्थल पर लोकक जमाव देखि कय अपराधी एकटा मोटरसाइकिल छोडि कय फरार भय गेल। लोक के जुटला के कारण रुपैया बचि गेल। स्थानीय लोक सब फ़िरोज़ के ब्रम्हपुरा स्थित निजी अस्पताल मे भर्ती करौलनि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here