पोखरि मे डूबला सं दू गोट लड़की के मौत, एकटा गंभीर

    0
    203

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: सीतामढ़ी के बथनाहा थाना क्षेत्र मे स्नान के दौरान पोखरि मे डूबला सं दू टा लड़किक मौत भय गेल। पुलिस सूत्रक अनुसार सोनवर्षा गामक छह टा लड़की पोखरि मे स्नान करबाक लेल गेल छल, स्नानक दौरान बेसी पानि मे गेलाक कारने डूबय लागल। लड़की के हल्ला केलाक बाद पोखरि घाट पर मौजूद ग्रामीण लड़की सब के पोखरि सं निकाललनि। सब के बेहोशी की हालत में सीतामढ़ी सदर अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल, जतय डॉक्टर दू गोट लड़की के मृत घोषित कय देलक तथा एकटा के हालात गंभीर बताओल जा रहल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here