मधुबनी बस हादसा मे मृतकक संख्या 35 के पार, मृतकक परिजन के पांच-पांच लाख रुपैयाक अनुदानक घोषणा

    0
    211

    मधुबनी, मिथिला मिरर: बिहार के मधुबनी मे सोमदिन भेल सड़क हादसा मे मरय बलाक संख्या 35 पार भय गेल अछि। सोमदिन दुपहर मे मधुबनी स सीतामढ़ी जा रहल सागर ट्रेवल्स के यात्री बस पानि सं भरल पोखरि मे खसि पडल छल।

    हालांकि प्रशासन एखन धरि 19 गोटेक मौतक आधिकारिक पुष्टि केलक अछि। जाहि समय ई हादसा भेल छल ओहि समय बस मे 50 सं अधिक लोक मौजूद छल। बचावक काज देरी सं शुरू हेबाक कारने ग्रामीण मे रोष व्याप्त छल।

    बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अधिकारी के दुर्घटना मे पीड़ित लोकक हरसंभव सहायता मुहैया करेबाक निर्देश देलनि। ओ मृतकक परिजन के तुरंत अनुदान राशि पहुंचेबाक निर्देश देलनि। घटना के बाद प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी सेहो ट्वीट कय अप्पन संवेदना व्यक्त केने छलाह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here