स्वेच्छादान आ मुफ्त स्वास्थ्य जाँच शिविरक आयोजन

    0
    195

    दिल्ली, मिथिला मिरर: सुच्चा मैथिल संस्थान द्वारा शनिदिन विश्वकर्मा पूजाक आयोजन मुम्बईक नालासोपारा अन्तर्गत संतोष भुवन के स्वामी विवेकानन्द स्कूलक प्रांगण मे कायल जा रहल अछि। अहि उत्सवक अवसर पर धर्म रक्षाक संग मानव रक्षाक लेल स्वेच्छादान आ मुफ्त स्वास्थ्य जाँच शिविरक सेहो व्यवस्था कायल गेल अछि।

    संस्थाक सूत्रानुसार विश्वकर्मा पूजाक अहि अवसर पर शनिदिन रंगारंग सांस्कृतिक कार्यक्रमक आयोजन सेहो कायल जा रहल अछि। सूत्रक अनुसार ई कार्यक्रम किडनी बीमारी सं पीड़ित ललन चौधरी के समर्पित कायल जा रहल अछि। रहत। अहि कार्यक्रम’क माध्यम सं ललन चौधरी’क लेल किडनी प्रत्यारोपण लेल धन जुटेबाक प्रयास सेहो कायल जा रहल अछि। सूत्रक अनुसार कार्यक्रम मे मैथिली सिनेमाक प्रसिद्ध निर्देशक मुरलीधर’क टीम ‘मुरलीधर नाइट’ अपन प्रस्तुति देताह।

    अपने कें बता दी जे ललन चौधरी उर्फ़ ललन दरभंगावाला पैछला किछु मास सँ किडनी रोग सँ जूझि रहला अछि आ एखन डायलिसिस पर छैथ मुदा डॉक्टरक कहब अछि जे हुंकर किडनीक प्रत्यारोपण हैब बहुत ज़रूरी अछि। ललन चौधरीक जान बचेवाक लेल कैल जा रहल अहि कार्यक्रमक जतेक प्रशंसा कैल जाइ ओ कम छैक। आयोजक कें बधाई।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here