जलजमाव सं लगातार तेसर दिन बंद रहल सुधा डेयरीक प्रोडक्शन, 60 लाखक नुकसान के अनुमान

    0
    233

    पटना, मिथिला मिरर: पटना के सुधा डेयरी बरसात के कारण भेल जलजमाव स लगातार तेसर दिन बंद रहल। कैंपस मे जलजमाव के कारण डेयरी मे कोनो तरहक काज नहि भेल। डेयरी के एमडी सुधीर कुमार के मुताबिक लगातार तेसर दिन डेयरी मे कोनो प्रोडक्ट तैयार नहि कायल जा सकल। हाजीपुर, समस्तीपुर, नालंदा आ बरौनी स पटना मे दूधक सप्लाई भय रहल अछि।

    एमडी बृहस्पतिदिन साँझ धरि पानि निकलला के बाद प्लांट के सुचारू रूप स शुरू करबाक उम्मीद जतौलनि। सूत्रक अनुसार अहि तीन दिन मे सुधा डेयरी के लगभग 60 लाख रुपैयाक नुकसान भेल। एमडी डेयरी मे जलजमावक निकासी के लेल लगातार प्रयास कय रहल छथि आ हारून नगर के नाला सं पानि निकालबाक प्रयास कायल जा रहल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here