पप्पू यादव एलाह चंदाबाबू के मददि करबाक लेल आगू

    0
    176

    पटना, मिथिला मिरर: शहाबुद्दीनक जमानत के बाद चंदाबाबू कहने छलाह जे आब हमरा सर्वोच्च न्यायालय जेबाक हिम्मत नहि अछि, आ नहि हमरा लग ओतेक रुपैया अछि जे हम आगू जा कय केश लड़ब। जाहि के बाद वकील प्रशांत भूषण सर्वोच्च न्यायालय मे हुनकर केश लड़बाक बात कहने छलाह।

    ओतहि जन अधिकार पार्टी के अध्यक्ष आ मधेपुरा के सांसद पप्पू यादव चंदाबाबु के मददि करबाक लेल सोंझा एलाह। पप्पू यादव कहलनि जे, चंदबाबू के मो. शहाबुद्दीन के खिलाफ न्यायालय मे केस लड़बाक लेल हमर पार्टी 1 लाख रुपैयाक सहायता राशि देतनि। संगहि सब महिना मे पार्टी दिस सं पुरा परिवार के दस हजार रुपैया देल जायत।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here