सोमेश्वर नाथ के समीप धर्मशाला’क छत खसला सं 23 गोटे घायल

    0
    192

    मोतिहारी, मिथिला मिरर: अरेराज सोमेश्वर नाथ महादेव मंदिर के समीप एकटा धर्मशाला के छत खसला सं 23 टा कांवड़िया मलबा मे दबि गेल। कांवड़िया अनंत चतुर्दशी मेला पर दर्शन तथा जलाभिषेक के लेल आयल छलाह। घटना सोमदिन राति लगभग 12 बजेक अछि। सब घायल श्रद्धालु के मधुवन थाना क्षेत्रक  जोगौलिया गाम के बताओल गेल अछि।

    घटना के सूचना भेटितहि डीएम अनुपम कुमार आ एसपी जितेंद्र राणा मौका पर पहुंच गेलाह। राहत आ बचाव कार्य मे जुटल प्रशासनक टीम एखन धरि घायलक संख्या 23 बतौलनि अछि।

    20 टा घायल के अरेराज अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल अछि तथा तीन गोटे के मोतिहारी के सदर अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल अछि। एसपी जितेंद्र राणा के अनुसार घायल मे ज्यादातर महिला अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here