दरभंगा सं भाजपा विधायक संजय सरावगी कहलनि नीतीश कुमार जंगल राजक नायक छथि

    0
    218

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: भाजपा बिधायक संजय सरावगी बाहुबली शहाबुद्दीन के लेल मुख्यमंत्री नितीश कुमार पर तीखा प्रहार करैत घेरलैन। बिधायक नीतीश कुमार पर आरोप लगबैत कहलैन्ह जे 11 साल बाद जेल स रिहाई के बाद सैकड़ो वाहन के काफिला आ विजय जुलुस निकालै के लेल इजाजत द क इ जता देलैन्ह जे बिहार मे जंगल राज छैक।

    ओ कहलैन्ह जे दुर्दांत अपराधी के भागलपुर स सीवान के यात्रा में जाहि तरह स हुनक महिमा मंडित कायल गेल ओहि सं भयाबह इरादा देखाइल जा रहल छल। विजय जुलुस के समय टोल प्लाजा के कर्मी टोल छोरी भागी गेल छलाह, पुलिस सेहो ओहि टोल प्लाजा पर पहुंचि टोल टैक्स नै लेवाक हिदायत देने छल।

    सरावगी कहलैन्ह जे सूबे मे कानून के खूब धज्जी उड़ाओल जा रहल अछि आ सत्ता संरक्षित अपराधी के मनोबल बढ़ि रहल अछि। ओकर बाद मुख्यमंत्री नितीश जीक रटल रटेल बयानबाजी स हुनक बेचारगी साफ झलकि रहल अछि। सरावगी कहलैन्ह जे नितीश कुमार जनहित के ख्याल नहि करैत लालू प्रसाद यादब के दवाव मे आबि क शहाबुद्दीन के जमानत दियौलन्हि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here